
“दवाइ लेल मार्गदर्शन आ एंटीबायोटिक लेल डॉक्टरक आवश्यकता अछि।”
एंटीबायोटिक एहन दवाइ नहि अछि जे बिना सोचने-बुझने लऽ लेल जाए। एकर उपयोग डॉक्टरक सलाहसँ मात्र करबाक चाही। आइ-काल्हि लोक ई मानऽ लागल अछि जे बस एकटा गोली लऽ लिअ, सभ तकलीफ दूर भऽ जाएत। यैह कारण अछि जे बीमारी आ संक्रमण एहि एंटीबायोटिक दवाइ सभ पर भारी पड़ि रहल अछि। हम अहाँ सभसँ आग्रह करैत छी जे कृपया अपन मर्जीसँ दवाइक उपयोग करबासँ बचू। एंटीबायोटिक दवाइक मामिलामे तँ एहि बातक ध्यान राखब बहुत जरूरी अछि। हम तँ यैह कहब — दवाइ लेल मार्गदर्शन आ एंटीबायोटिक लेल डॉक्टरक आवश्यकता अछि। ई आदति अहाँक स्वास्थ्यकेँ बेहतर बनयबामे बहुत सहायक सिद्ध होएत।













































